Vimarsh
25/01/2026
घनश्याम मिश्र जी सांस्कृतिक आ सामाजिक चेतना सँ संपृक्त एकगोट बहुमुखी प्रतिभा संपन्न युवक छथि। जनकपुर परिसरक विविध सांस्कृतिक उत्सव आ आयोजन मे अपन भूमिका आ सक्रिय सहभागिता सँ बेस प्रशंसित होइत रहलाह अछि। पत्रकारिताक संगहि विगत किछु बरख सँ एकटा कुशल उद्घोषक केर भूमिका मे स्थापित घनश्याम जीक लोकप्रियताक केंद्र मे हिनक बाँसुरिक सम्मोहन सेहो छनि।घनश्याम जीक जन्मदिवस पर हुनक उज्ज्वल भविष्यक हेतु उत्तरोत्तर प्रगतिक शुभकामना।
28/10/2025
अपन जीवन, चिंतन, अचार-विचार आ व्यवहार मे सदिखन मैथिलीक साहित्यिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक अनुशीलन केँ आत्मसात कएनिहार, मिथिलाक माटि-पानि आ ग्राम्य जीवनक विशिष्टता केँ अपन सृजनकर्म सँ रेखांकित कएनिहार, मिथिलाक विधि-व्यवहार, लोक-वेद, पाबनि-तिहार आदिक लोकसंदर्भित व्याख्याक वरेण्य, त्रिभुवन विश्वविद्यालयक मैथिलीक केंद्रीय विभागक पूर्व-विभागाध्यक्ष, मैथिलीक बहुविधावादी वरिष्ठ साहित्यकार परमेश्वर कापड़ि सर केँ हुनक जन्मदिवस पर आत्मीय मङ्गलकामना।
मैथिलीक अपन राग-तानक सुच्चा गायक, प्रयोगधर्मी संगीतकार, राष्ट्रीय प्रतिभा पुरस्करा सँ सम्मानित, मिथिला-मैथिलीक प्रति समर्पित व्यक्तित्व आदरणीय सुनील मल्लिक जी केँ हुनक जन्मदिवस पर आत्मीय शुभकामना।
18/09/2025
साहित्य, संगीत आ संचारक त्रिकोण बनबैत, एकर तीनू शीर्ष पर अपन सार्थक हस्तक्षेप रखैत, मिथिला-मैथिलीक प्रति सदिखन समर्पित रहैत, सांस्कृतिक चेतना केँ अंगेजने विदुषी रूपा झा जी केँ जन्मदिनक आत्मीय शुभकामना।
Click here to claim your Sponsored Listing.
Category
Contact the establishment
Website
Address
Kathmandu
Kathmandu
00466